Home Blog Page 920

भूइँकप, बन्द आ लोडसेडिङके प्रहार : विद्यार्थीके पढाइपर मार

रेणु गुप्ता भविष्यके कर्णधार आ वर्तमानके जिमेबार कहेजाएबाला विद्यार्थीके पढाइ चालू शैक्षिक सत्रमे सबसे बेसी मर्कामे परल देखलगेल हए । सभी प्रकारके राजनीतिक आ प्राकृतिक विपदाके पराकाष्ठा अमकीबेरके विद्यार्थी भोगेके बाध्य होएलासे वर्तमानके विद्यार्थीके सबसे बेसी मर्का भी परल हए ।
विद्यार्थीके मर्काके देखके कुछ लोग त ई साल ही बालबालिकाके व्यर्थमे गेल बतारहल हए । अइसही कुछ विद्वान लोगके मतमे ई सालके शैक्षिक सत्रके गन्ती करनाइ आ नकरनाइ दुनु बराबरजइसन रहल हए । वास्तवमे नेपालके शैक्षिक इतिहासमे ही बालबालिकाके पढाइपर सभी किसिमके असरके चरम रुप देखलगेल सम्भवतः पहिलबेर होसकइअ । मधेशके स्कुलसे लेके क्याम्पसतक पढेबाला सभी विद्यार्थीके ओतने मार परल हए तइओ अभी एसएलसीके तैयारी कररहल विद्यार्थी अत्यधिक मारमे परल देखलगेल हए ।

शैक्षिक सत्र सुरु होएकेबेरिया ही भूइँकप आएल आ कुछे दिनके बाद फेर दोहरएलासे करिब एक महिना त पढाइ डिस्टर्ब ही भेल रहे । विद्यालय आ क्याम्पस खुललाके बाद भी बारम्बार धरती हिलइत रहेके आ भूइँकप आरहल हई कहके हल्ल होइते रहलासे विद्यार्थीके मानसिकता पढाइके ओर जाही नसकल रहे । कुछ बालबालिकाके मानसिकतामे त पुरे डर भरगेल रहे । डरके मारे कौनो विद्यार्थीके पढाइमे मन नलागेके होएलासे कुछ दिनतक स्कुलमे हाजिरी करेके आ भूइँकपके डरसे भरल मनके पढाइके ओर खिँचेके मनोवैज्ञानिक काममात्रे कएलगेल रहे । बालबालिकामे भूइँकपसे परल मनोवैज्ञानिक प्रभावसे मुक्त करेके क्षेत्रमे शिक्षक आ अभिभावकद्वारा कएलगेल महत्वपूर्ण कामके बाद एक महिना मोस्किलसे पढाइ चलल होतई, ओकराबाद त सरकारी स्कुलमे गर्मी विदा होगेलई । गर्मी विदाके समयमे खुलल कुछ निजी स्कुल सबमे भी वर्षासे पढाइ डिस्टर्बे रहलई ।

गर्मीके विदा सुधेके आ राजनीतिक आन्दोलनके कारण मधेशके सभी स्कुल बन्द होएके समय एकेबेर परल । सामान्यतया भादोके पहिल दिन सरकारी स्कुलके खुलेके समय रहले पढाइके दृष्टिसे मगर ओही दिनसे बन्द भी सुरु होएलासे बालबालिकाके पढाइ रोकाएल त अगहन महिनाके पहिल हप्तामे मोस्किलसे सुरुआत होएसकल । भूइँकपसे एक महिनातक बन्द रहल सभी स्कुल एकसे दू महिनातक चललाके बाद गर्मी विदामे बन्द भेलाके बाद एकेबेर अगहनके पहिल हप्तामे खुललासे चार महिना लगातार बन्द रहल देखलजाइअ । ई सभीके एक जगह जोरलापर बैसाखसे अभीतक बालबालिकाके पढाइ पाँच महिना अवरोध होगेल हए । एके शैक्षिक सत्रमे पाँच महिना पढाइ बन्द होएल आ चैतमे पढाइ नहोएके देखलगेलासे आधा शैक्षिक सत्रके समय त सोझे बरबाद भेल हए । जब पढाइ होएबाला समयके आधा समय बरबाद होगेलाके बाद विद्यार्थीके पढाइपर लोडसेडिङके ग्रहण लागल हए । वर्तमानमे बालबालिकाके पढाइ स्कुलमे त चलरहल हए मगर घरमे पढेके समयमे लाइन नरहलासे बालबालिकाके पढाइ बहुत डिस्टर्ब होरहल हए । सरकारी स्कुलमे पढके घरे आएल बालबालिका सब घरे लाइन नहोएलासे घरे पढे नसकल प्रतिक्रिया निरन्तर देरहल हए । पढेके समयमे लाइन नरहलासे बालबालिकाके पढाइ प्रभावित होनाइ एई सालके मात्रे नहोके हर सालके बात होएलाके बाद भी बालबालिकाके पढाइके समयके लेल सरकारके ओरसे कौनो ठोस व्यवस्था वा विकल्प नहोनाइ दुर्भाग्यके बात ही रहल हए ।

लोडसेडिङ विद्यार्थीके लेल दुश्मनसे कम नहए । गर्मीसे लेके ठन्ढीतकके समयमे विद्यार्थी खास पढे नपएले आ जब स्कुलमे पढाइके वातावरण बनल हए तब जाके घरके पढाइके समयले बिजुली धोखा देले होएलासे विद्यार्थीके पढाइ अधुरा ही रहल हए । भूइँकपके डरसे उबरके आ बन्दके निरन्तरके मारसे बँचलाके बाद लोडसेडिङके प्रहारसे विद्यार्थीके पढाइके कम्मर कमजोर पररहल हए । बालबालिकाके पढाइमे मन लगाबेके लेल भी घरमे बिजुलीके होनाइ जरुरी हए । घरमे बिजुली नहोएलासे बालबालिका सबेरे आ साँझमे दुरेदुरे घुमके घुर तापइत देखलजारहल हए । अनावश्यक गप करेके समय बिताबेके अलाबा विद्यार्थीके आगे दोसर कौनो कामे नबुझारहल हए । विद्यार्थीमे पढाइप्रति वास्तवमे उत्साह बहुत कम हए । कम उत्साहके बहुते कारणमेसे एगो कौनो दिन भी निमनसे लाइन नरहनाइ भी एगो प्रमुख कारण रहल अभिभावक लोगके कहनाम हए । अपना भविष्यपर चिन्ता करेके लेल भी घरमे इँजोत नरहेके आ सभीओरके अमकीबेरके सालके पढाइके कमजोर बनाबेके काम होरहल विद्यार्थी सबके भी अनुभूति रहल हए । विद्यार्थीके लेल पढाइसे बढके दोसर कुछो होइए नसकले मगर पढेके मौका बिजुलीके कारणसे नहोई तब पढाइ विद्यार्थीसे दूर जनाइ एकदम स्वाभाविक रहल हए ।

विद्यार्थीके पढाइके दृष्टिसे ई साल विशेष अवस्था रहल हई । वास्तवमे कहलजाए त मधेशके आठगो जिलामे पढाइके संकटकाल ही रहल हए । भूइँकप, गर्मी विदा, बन्द आ लोडसेडिङके साथे ठन्ढीके कहरसे पढाइके त बहुत मर्का परल हए । पढाइके मर्का इहाँतक कि एक सबेरे उठके टिउसन जाएके समयमे ठन्ढीसे बँचेके उपाय सोंचेके बाध्य हए बालबालिका । साँझमे लाइन नहोएलासे पढेके उपाय नहए बालबालिकाके । दुपहरियामे स्कुल चलरहल हए तब इस्कुलमे पढाइमे व्यस्त होएके परले । सार्वजनिक यातायात सुचारु नहोएलासे बहुत विद्यालयमे शिक्षकके उपस्थिति निमनसे होइते नहए । लिजर घन्टी गेलासे बालबालिका परसान हए । कुछ जगहपर शिक्षक पहुँचेला डेराइत हए । डेराएल मानसिकतासे पढाइमे भी असर पररहल हए । केनहु आन्दोलनके बात सुनलापर बालबालिकाके मानसिकता भी प्रभावित होरहल हए । पढेके समयमे आरहल अनेक समस्यासे बालबालिकाके एई सालके पढाइ बिलकुल अलग ढंगसे अगाडि बढलासे पहिलेके हिसाबसे पढे नपारहल हए । अभिभावक आ शिक्षकके चाहना होएलाके बाद भी भौतिक परिस्थिति पढाइके अनुकूल हरदम नहोनाइ एगो लमहर समस्या हए ।

महिनोंतक बन्द रहल विद्यालय मोस्किलसे धुकुरधुकुर चलेके सुरु कएले हए । ओहीमे विभिन्न संघसंस्थाके जागरण अभियानसे पढाइ प्रभावित होरहल हए । कुछ सरकारी निकाय आ कुछ गैरसरकारी निकायके पाँच महिनाके रुकल विद्यार्थीमे जाएबाला कार्यक्रम सब लगातार जाएलगलासे भी पढाइके ओर बालबालिका एकाग्रचित्त नहोरहल हए । पढाइके अवरोध कके बालबालिकाके विभिन्न प्रतियोगिता आ समूह कार्यमे भी बाहर जाएके पररहल हए । कुछ संघसंस्था विद्यार्थीके अन्य सहायक कार्यमे भी प्रयोग कररहल हए । विद्यालय खुललाके बाद बहुत स्कुलके बालबालिकाके केतनाबेर जुलुसमे भी सहभागी होएके परल हए । सामाजिक जागरणमूलक जुलुसमे भी विद्यार्थीके सहभागिता होएल देखलगेल हए । बालबालिकाके प्रयोग राजनीतिक स्वार्थके पूरा करेके लेल भी कएलगेल हए । एई सालके पढाइ सामान्यावस्थाके नहोके विशेष वा विशिष्ट अवस्थाके होएलासे सभी राजनीतिक दल, सामाजिक संघसंस्था चाहे समाजके अन्य क्षेत्रके लोग बालबालिकाके ध्यान कौनो किसिमके दोसराओर जाएके हिसाबसे अप्पन गतिविधि संचालन नकरइत त बहुत अच्छा रहइत । सभी किसिमके तर्क आ वादविवादसे अलग राखके विद्यार्थीके पढाइके महत्व देनाइ वर्तमानके आवश्यकता बनल हए ।

भूइँकपसे हिलल, गर्मी विदासे विदा भेल, बन्दसे बन्द भेल आ लोडसेडिङसे अन्हार बनल बालबालिकाके पढाइके जेतने समय हए ओतनेमे अत्यधिक उपलब्धिके लेल उपयोग करनाइ जरुरी हए । शिक्षा क्षेत्रसे प्रत्यक्ष सम्बन्ध राखेबाला सभी अभिभावक, व्यवस्थापन समिति, शिक्षक अभिभावक संघ, विद्यालय, शिक्षक आ विद्यार्थी सभीके अपना तरफसे पढाइके वातावरण बनाबेला कौनो कसरत नछोडेके चाहिँ । अभीके समय बहुत महत्वपूर्ण हए । सरकारके भी बालबालिकाके एसएलसीके तयारी करेला कमसेकम साँझमे लोडसेडिङ नहोएबाला वातावरण बनाबेके चाहिँ । विद्यालयके लेल विशेष व्यवस्था करनाइ जरुरी हए । न त लोडसेडिङसे प्रभावित नहोएबाला हिसाबसे विद्यालयमे अनिवार्य रुपसे सोलारके व्यवस्था करेके चाहिँ । विद्यालयके लोडसेडिङ मुक्त क्षेत्र घोषणा कएलापर भी बालबालिकाके पढाइपर सकारात्मक असर परतिअई आ शिक्षाके गुणस्तरमे सकारात्मक सुधार होतिअई । तत्कालमे पढाइके उपर नकारात्मक प्रभाव पारेबाला सभी तत्वके कमजोर बनाबेके आ पूरा समय बालबालिकाके पढाइ निर्वाध होएके वातावरण बनाबेके लेल सम्बन्धित विद्यालयके सभी पक्षके जिमेबार होएके परतई । एई सालके विशेष अवस्थामे अपना बालबालिकाके पढाइके लेल अभिभावक लोगके भी विशेष नजरसे देखनाइ समयके माग होगेल हए । समयपर ध्यान नदेलाके बाद बादमे पछताएके अलाबा दोसर कौनो विकल्प हमनीके आगे नरही । अभीके समयके उपयोग नकएलाके बाद आगामी समयके पढाइ भी कमजोरके होएलासे वर्तमानके अवस्थामे सुधारके लेल हमनी सब अपना तरफसे होएबाला सभी प्रयास करनाइ जरुरी हए, कर्तव्य भी हए ।

संबिधानमे संघियता रेखाङकन आ नामकरण केदिन नहए

श्याम सहनी चन्द्रान्सु । संविधान लेखनमे अनिर्णित विषयः संघिय राज्यके नामाकरण आ शासकिय स्वरुप मुलत निर्णय बाँकी राखके संविधान घोषना कैएल कठिन चुनौतिके रुपमे देखल जाईता ।
शासकिय स्वरुप जनसधारणके लेल कनौ नेतासवके मौसमे लड़ाई हए । जनताके मुलचासोके रुपमे सुरक्षा स्थायित्व आ समृद्धि होईय ।अमेरिका, वेलायत, भारत, जर्मनी, जापान , ब्राजिल आ सिंगापुरमे शासकिय स्वरुप अलग अलग किसिमके हए । कौनोभी शासकिय स्वरुप अपनेमे विकासके साधक आ बाधक नहोइअ । बाधक त अनावश्यक विषयके बखेड़ा करेमे दोसराके उपर शंका करेमे नेपालके राजनितिक नेतासवके क्षुद्र स्वाभाव हए ।

संघियताके भौगोलिक रेखाङकन आ संघियता राज्यके नामाकरण दुनु संवेदनशिल आ दुरगामी प्रभाव परेवाल जटिल विषय हए । नमहर दलके चार पार्टीके शीष नेतृत्वविच मे एगो जैउन १६ बुन्दे सहमीत बनल हए, उ सहमति जनताके हकहितमे करी त संघियताके रेखाङकन आ नामाकरणके लेल बालुवाटार, सिंहदरवार आ कौनो होटल, रिसोर्टके कोठा भितर बैइठके रेखाङकन आ नामाकरण नहोइ । जनताके हक अधिकार आ जनजाति, महिला, मधेशी, अपाङ्ग, मुसलमान, दलित सवके अधिकार संघियतामे उलेख करेके परि । संघियताके एगो रुप हए । हिमाल नेपालके शिर हए , पहाड विचके भाग हए, तराई पाउ आ पैर हए, नदीनाला बनजंगल देशरुपी शरिरके जिवित रक्तवाहेनी नली हए । यी चार अंगके शरिरमे बटावरा महत्व हए । केकरो कौनोके अबमूल्यन करेके नमिली । संघियताके भौगोलीक रेखाङकन उपयुक्त ढ़गसे कैल जरुरी हए ।

वि.सं २००७ से निरन्तररुपमे जनतासव खोज रहल हए प्रजातन्त्रमे मानव अधिकार, कानुनी शासन, शक्ति पृथ्वीकरण, प्रेस स्वतन्त्रता बहुलबाट, स्थानिय सरकार, आवधिक निर्वाचन, सुशासन, धार्मिक आ संस्कृतीक स्वतन्त्रता ईसव हए । प्रजातन्त्रके मुल आर्दश आ मर्म कहल स्वतन्त्र न्यायपालीका, खूलला अर्थव्यवस्था, एवं स्वत्रन्त्र समाचार आ भ्रष्टाचार मुक्त समाज । २०६६२-६३ के दोसरका जनआन्दोलनके सफलता पूर्व संघिय लोक्तान्त्रिक गणतन्त्र नेपालके संविधान निमार्ण प्रक्रियामे अभि तक जनता आर्थिक उन्नति, शान्ति, आ संघिय संविधान चाह रहल हए ।

भारतके पूर्वप्रधानमन्त्री एचडी देवेगौडा राजनीतिक भेटवार्तामे व्यस्त

0

काठमाडौँ , भदौ २२ । नेपाल भ्रमणमे आएल भारतके पूर्वप्रधानमन्त्री एचडी देवेगौडा राजनीतिक भेटवार्तामे व्यस्त छत । धार्मिक भ्रमणके लेल बिहीबार नेपाल आएल उहाके शुक्रबार सबेरे से हि बिभिन्न दलके नेतासबसे भेटवार्ता सुरु कएले छत ।

सुरुमे कांग्रेस नेता प्रकाशमान सिंहसे भेटवार्ता भएल है। देवेगौडासे भेटेके लेल प्रकाशमान हुन रहल होटलमे हि पुगल रहलन। भेटवार्तामे समसामयीक विषयमे सामान्य बातचित भएल प्रकाशमान जानकारी देलेछत।

उहाके शुक्रबार देपहरमे अरू नेतासबसे बत्तिसपुतलीस्थित द्वारिका होटलमेहि भेटवार्ता करेके कार्यक्रम रहल है ।

भारतके पूर्वप्रधानमन्त्री एचडी देवेगौडा पशुपति दर्शनके लेल कहइत बिहीबार काठमाडौं आएल रहलन । अन्तर्राष्ट्रिय मैत्री समाजके निमन्त्रणामे काठमाडौं आएल उहाके शुक्रबार सबेरे पशुपतिमे पूजापाठ कएलन । कुछ नेतासबसे भेटघाट कके उहाके शुक्रबार सामके स्वदेश फिरताहेएके कार्यक्रम रहल है ।

जनता दल सेक्युलरके अध्यक्ष रहल देवेगौडा १ जुन १९९६ से २१ अप्रिल १९९७ तक भारतके प्रधानमन्त्री बनल रहलन । नेपालमे ‘राष्ट्रघाती’ कहेवाला महाकाली सन्धि देवेगौडाके पालामे भएल रहे। उसमय नेपालके प्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवा रहे ।

पूर्व मन्त्री प्रभु साह एके दिनमे दुगो इलाका प्रहरी कार्यालयके कएले छत उदघाटन

0

राैतहट, साअाेन १५ । पूर्व मन्त्री एवं रौतहट क्षेत्र नम्बर ३ के साँसद प्रभु साह एके दिन दुगो नयाँ इलाका प्रहरी कार्यालयके उदघाटन कएले छत । रौतहटके देवाही गोनाही नगरपालिकाके गोनाही बजारपर आ मौलापुर नगरपालिकाके मौलापुर बजारपर पूर्वमन्त्री साह क वर्गके इलाका प्रहरी कार्यालयके स्थापनाके साथे उदघाटन कएले छत ।

पूर्वमन्त्री साहके पहलमे गोनाही बजारपर आ मौलापुर बजारपर इन्स्पेक्टरके दरबन्दी रहल इलाका प्रहरी कार्यालय स्थापना भेल हए । गोनाही बजारपर आजेसे कार्यालय संचालन भेल हए । पहिलेसे अस्थायी प्रहरी चौकी रहल मौलापुरमे आजसे ही इलाका प्रहरी कार्यालय संचालनमे आएल हए । इलाका प्रहरी कार्यालयके उदघाटन करइत एही आर्थिक वर्षमे मौलापुर बजारपर इलाका प्रशासन कार्यालय आ विद्युत कार्यालयके स्थापना होके संचालनमे आबेके स्पष्ट कएले छत । रौतहटके प्रतिव्यक्ति आय बहुत कम रहल अवस्थामे जिलाके स्थानीयबासीके आयस्तर वृद्धिके लेल काम करनाइ जरुरी रहल स्पष्ट कएले छत । कार्यक्रमके सम्बोधन करइत प्रदेश सभा सदस्य कुन्दन कुशवाहा जनताके सेवा करेला जनप्रतिनिधि हरदम लागल रहलासे विकास तथा निर्माणके कामके सभीके सहयोग करेला आग्रह कएले छत । कार्यक्रममे प्रमुख जिला अधिकारी, जिला प्रहरी कार्यालय रौतहट प्रमुख, विभिन्न कार्यालयके कार्यालय प्रमुख तथा सर्वसाधारणके सहभागिता रहल रहे । इलाका प्रहरी कार्यालयके स्थापना होएलासे स्थानीयबासी खुसी भेल हए ।

विकासके विरोधी तत्वसव गौर नगरबासी कडा प्रतिकार करनाई जरुरी रहल :- मेयर गुप्ता

0

गौर, जेठ १४ । गौर नगरपालिकाके नगर प्रमुख मेयर अजय कुमार गुप्ता, गौर नगर क्षेत्रमे विकास विरोधि तत्वसव सर्वसधारण जनता उपर हावी भेलासे विकास निर्माणमे कठीनाई होईत आएल बतएले छत । आजु सोमवारके सवेर लोक सेवा आयोगके कक्षाके उदघाटन करईत मेयर गुप्ता, कुच्छ विकास विरोधी तत्व जे अपन सिमित स्वार्थकेलेल अनावसक गौर नगरवासीमे भ्रम पैदा करईत आएलासे ओहन व्यक्तिसे सावधान रहेला गौर नगरवासीसे अनुरोध कएले हए ।
मेयर गुप्ता, विकास विरोधी तत्व आ भ्रम पैदा करेवाला व्यक्तिके गौर नगरवासी डटके प्रतिकार करेला समेत आग्रह कएलन ।

कार्यक्रमके प्रमुख अतिथिके वक्ताके रुपमे बोलईत मेयर गुप्ता, ई लोक सेवा आयोगके कक्षा सफल भेलापर अगामी दिनमे एकरा प्रोत्सान देवेके आ गौर नगरवासीके भौतिक विकास से जादाँ, शिक्षा, स्वाथ्य, व्यपार, कृषी सहित सवै क्षेत्रके विकास करेक प्रति प्रतिवद्ध रहल बतएलन ।

दोसर वक्ताके रुपमे रहल गौर नगरपालीकाके उप मेयर किरण कुमारी ठाकुर, गौर नगरवासीके सर्वपक्षिय विकासला नगरपालिका आगे बढ रहलासे एकरा सव नगरवासी अपनत्वके रुपमे ग्रहन करईत सहयोग कएलासे मात्र सर्वपक्षिय विकास सम्भव होएके बताएलन । कार्यक्रममे राजनैतिक विशलेषक चिरंजिवी सिंह, करदाता सेवा केन्द्र गौरके प्रमुख बलराम राय याद, देव बचत तथा रिण सहकारी संस्थाक लालविहारी साह, नेपाल पत्रकार महासंघके अध्यक्ष रविन्द्र प्रसाद साह लगायतके बक्तासव अपन मन्तव्य राखले रहे ।

गौर नगरवासीके नेपाल सरकारके अंगके रुपमे रहे कर्मचारी बनावेके आ वेरोजगारी दुर करेके उदेश्यसे राजदेवी मिडिया सेन्टरके आयोजना तथा गौर नगरपालिकाके सहयोगमे गौर नगरके २५ जने विद्यार्थीसवके सहभागीतामे एक महिने लोकसेवा आयोगके तयारी कक्ष संचालन भेल हए ।

कार्यक्रम आयोजक संस्थाके अध्यक्ष रामपुकरा राउतके अध्यक्षतामे सम्पन्न भेल रहे कार्यक्रममे स्वागत आयोज संस्थाके कोषाध्यक्ष विजय पटेल कएले रहलन त संचालन दिनेश संगम कएले रहे ।

फोरम सरकारमे जाईत, २ बुदे सहमति

नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी आ संघीय समाजवादी फोरम नेपाल बीच दु बुन्दे सहमति होईत फोरम सरकारमे सामिल होएवाला भेल हए । नेकपाके अध्यक्षद्वय प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली आ पुष्पकमल

दाहाल संघीय समाजवादी फोरमके अध्यक्ष उपेन्द्र यादव उठएले संविधान संशोधनके विषयके आपसी सहमतिके अनुसार संशोधन करके अगाडी बढ्ेके लिखित सहमति करे साथे फोरम सरकारमे सामेल होए लागल हए । ई सहमति प्रदेश नं. २ के लेल सुख्द भेल विशलेषक सवके ठहर रहल हए ।

विद्यायक फुलबाबुके गढिमाई नपाके मेयर यादवद्धारा भव्य सम्मान

रौतहट, माघ ९ गते । रौतहट क्षेत्र नं ४ के खके स्वतन्त्र विद्यायक शेख अब्बुल कलाम अजाद उर्फ फुलबाबुके आजु गढिमाई नगरपालिकाके कार्यालयमे भव्य स्वागत तथा सम्मान कएलगेल हए । गढिमाइ नगरपालिकाके कार्यालय समनपुरमे आजु आयोजित कार्यक्रममे नगरपालिकाके मेयर श्याम प्रसाद यादव मधेशके हि एक मात्रे स्वतन्त्र विद्यायक फुलबाबुके अबिर आ माला लगाके भव्य स्वागत तथा सम्मन कएले छत ।

जनकपुरमे सपथ लेलावाद औपचारिक रुपमे विद्यायक भेल खुसियालीमे विद्यायक फुलबाबुके गढिमाई नगरपालिकाके मेयर यादव स्वागत आ सम्मान करेके साथे अगामि सफल कार्यकालके शुभकामना भि देले छत । ओई क्रममे फुलबाबुके जितावेमे अहम भुमिका खेलेवला उनकर सहयोगीसव राजपाके पूर्व केन्द्रिय सदस्य राजकुमार दास तत्मा, मधेश आन्दोलनके चर्चित आन्दोलनकारी एवं फोरमके नेता कौशलखान मिथला आ सुरेन्द्र पटेलके भि स्वागत कएलगेल हए । कार्यक्रममे विभिन्न क्षेत्रके व्यक्तिके सहभागिता रहल नेता कौशलाखान मिथला जानकारी करएले छत ।

देश नं २ मे फोरमके नेतृत्वमे हि सरकार बनेके

0

रौतहट, माघ ७ गते । रौतहट क्षेत्र नं १ के खके विद्यायक योगेन्द्र यादव अगामी कुछे दिनमे प्रदेश नं २ मे फोरमके नेतृत्वमे हि सरकार बनेके दावी कएले छत । रौतहटके माधवनारायण नगरपालिकाके प्रथम नगरसभा उदघाटन कार्यक्रमके आजु हिन्दी भाषामे हि सम्बोधन करईत क्षेत्र नं १ के खके विद्यायक योगेन्द्र राय यादव अबके कुछे दिनमे प्रदेश नं २ मे फोरमके हि नेतृत्वमे
सरकार बने जारहल बतएले छत । मधेशी जनता आ मधेशके विकासके लेल हि फोरमके नेतृत्वमे सरकार बने जारहल नेता योगेन्द्र यादव ठोकुवा कएले छत । फोरमके नेतृत्वमे सरकार बनते मधेशी जनताके अधुरा रहल हर सपना पुरा होएके फोरमके नेता एवं रौतहट क्षेत्र नं १ के खके विद्यायक योगेन्द्र यादव दावी कएले छत । कार्यक्रममे बोलईत नेता योगेन्द्र यादव कहलन कि हम क्षेत्र नं १ के खके जनताके लेल जथि भि करसकईछी बस सवके साथ आ सहयोग चाहि, अपना क्षेत्रके कौनो भि जनताके कौनो समस्या अएलापर अपनाके तुरन्त फोन करेला समेत हुन आहवान कएले छत । नेता योगेन्द्र यादव माधवनारायण नगरपालिकामे रिंग रोड समेत बनावेके प्रतिबद्धता जनएले छत ।

लुम्बिनी बाणिज्य क्याम्पसमे नेविसंघद्वारा आगजनी

बुटवल , असोज १० बुटवलके लुम्बिनी बाणिज्य क्यामसमे ११ जना अपन आदमिसबके शिक्षक,कर्मचारी भर्ती कएले कहइत नेपाल विद्यार्थी संघ आगजनी आ तोडफोड कएले है ।
लुम्बिनी बाणिज्य क्यामपस इकाइ समितिके सभापति सुरज क्षेत्रीआ केन्द्रीय सदस्य टंक पाण्डेके नेतृत्वके समूह क्याम्पस प्रमुखके कुर्सी, टेबुलमे आगजनी कएले है । क्याम्पस प्रमुख चढेवाला गाडीमे भी हुनलोग तोडफोड कएले है ।

विद्यार्थीसब नयाँ नियुक्त करल शिक्षक कर्मचारी भनसुनके अधारमे नाताबाद,कृपाबाद आ आासपासके भेल आरोप लगएले है ।

अपना आदमीके प्रशन आउट कराके,चिट चोराके नियुक्ति देले है,हमनी इ नमानम । अभि निर्णय नसच्चाएलाके बाद आन्दोलनके अगारी बढाएम, नेबिसंघके केन्द्रयि सदस्य टंक पाणडे कहलन ।

क्यामपस अपना खुसीसे नोकरी देले कहइत निर्णय सच्चायावे नेविसंघ अल्टिमेटम समेत देले हे ।

क्याम्पस प्रशासन कहलन बैधानिक ढंगसे नियुक्ति कएले जानकारी देलन ।