राैतहट ।। बज्जिका भाषाके इतिहासलेखनके लेल विशिष्ट अभिमुखीकरण गोष्ठी सर्लाहीके रामनगरमे सम्पन्न भेल हए । भाषा आयोगके बज्जिका भाषाके इतिहास लेखनसम्बन्धी अभिमुखीकरण सर्लाहीके रामनगर गाओपालिकामे रहल माध्यमिक विद्यालयमे सम्पन्न भेल हए ।

इतिहास लेखन अभिमुखीकरण गोष्ठीमे भाषा आयोगके प्रतिनिधी उपसचिव सुरेन्द्र अचार्यके प्रमुख आतिथ्य कएल रहलन । मुख्यतः रामनगर गाँओपालिका आयोजक रहल गोष्ठीमे सर्लाही, रौतहट आ बाराके बज्जिका भाषासे जुटल विभिन्न क्षेत्रके लोगके सहभागिता रहल रहे ।

बज्जिका भाषाके इतिहास काहे, इतिहास केहन आ कौन विषय समेटेके साथे सामग्री कहाँसे प्राप्त करेके विषयपर गोष्ठीमे छलफल होएल रहे ।बज्जिका भाषाके इतिहास लेखन सम्बन्धी पहिलका अभिमुखिकरण गोष्ठीमे भाष आयोगसे उपलब्ध कराएलगेल रुपरेखाअनुसारके विभिन्न पक्षपर विस्तृत छलफल कएल गेल हए ।

अभिमुखीकरण गोष्ठीमे ईतिहास लेखन सम्बन्धी कार्ययोजनाके लेल डा. कमलेश्वर कुमार सिन्हाके संयोजकत्वमे तीन सदस्यी कार्यक्रम कार्यान्वयन समिती गठन कएल गेल हे । समितिमे बज्जिका भाषा लिखेके लेल संजय साह  आ अनुसन्धानविद् डा. डिल्ली राम रिमाल रहल छत । ओइसहीय इतिहास लेखनके लेल सामग्री संकलन, किंबदन्ती संकलन, ऐतिहासिक दस्तावेजके खोजी, धार्मिक तथा सांस्कृतिक आ लौकिक व्यवहारसबके खोजी करेके लेल भि उपसमिति गठन कएल गेल हए ।

गोष्ठीमे भाषा आयोगके प्रतिनिधिके साथे रामनगर गाँओपालिकाके रोजगार संयोजक रजनिश कुमार पाण्डे, पहिल बज्जिका भाषा प्रशिक्षक बिन्देशवर साह, विपिन विहारी, सिंह, बज्जिका भाषाके रौतहट संरक्षक सिवचन्द्र साह, बिन्दा सहनी, विभिन्न गाओके बज्जिका भाषा प्रेमी लगायत बज्जिकाबानीके सम्पादक दिनेश संगम, पत्रकार जयप्रकास यादव, बज्जिका पत्रकार संघ नेपालके अध्यक्ष राजेश्वर पाण्ठे, बज्जिका साहित्य संगमके सम्पादक श्याक प्रसाद सहनी चन्द्रान्सु, बज्जिपत्र साप्ताहीकके सम्पादक किसुन दायल यादव लगायत  सयौं बज्जिका सेवीके उपस्थिीति रहल रहे ।

इतिहास लेखनके अभिमुखिकरण गोष्ठीके अध्यक्षता रामनगर गाओपालिकाके प्रमुख कृष्णप्रसाद वर्मा कएले कार्यक्रममे निर्वाचित जनप्रतिनिधि, कर्मचारी, बज्जिकासेवी तथा अन्य पक्षके भी सहभागिता रहल खबर प्राप्त भेल हए ।

हाम्राे यूटुव टीभी हेर्नकाे लागि यहाँ किलिक गराै ।।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here