ओअ्मान /अासिन ११ ओमानमे क्षेत्रीय राजदुत सम्मेलन समपन्न भेल हए । राजधानी मस्कट स्थित ग्रैण्ड हाेटेल मे काल्हु आयोजित खाडि मुलुक , केन्द्र एसिया, पश्चिम एसिया अा अफ्रिका क्षेत्रके नेपाली राजदूतसब के क्षेत्रीय सम्मेलन प्रधानमन्त्री
शेरबहादुर देउवा के उपस्थितिमे समपन्न भेल हए । अाेमान भ्रमण के दुसरका दिन काल्हु प्रधानमन्त्री देउवा नेपाली आप्रवासी कामदार सब के हकहित अा संरक्षणके लेल काम करेला राजदूतलाेग के निर्देशन देले छत । सम्मेलन मे बाेलइत प्रम देउवा खाडि देश अाेमान सहित अन्य देशमे कार्यरत नेपाली कामदारलाेग के समस्या समाधानके लेल निर्देशन देइत एइ प्रति सरकार गम्भीर रहल विचार व्यक्त कएले रहलन । एइ अवसर पर बाेलइत श्रम अा रोजगार मन्त्री फरमुल्लाह मन्सुर श्रम स्वीकृति लगायत के काम सब दूतावास से हि करेला राजदूतलाेग निर्देशन दिले रहलन । सम्मेलनमे बाँकी देशके साथ श्रम सम्झौता करेके लेल , नेपालके पर्यटन अा विदेशी लगानी बढाबे के अाेर राजदूतसब द्वारा निर्वाह कएल जाएबाला भूमिका के विषयमे विचार विमर्श भेल स्राेत जनाएले हए । सम्मेलनके अवसर पर ओमानके लेल नेपाली राजदूत शर्मिला पराजुली ढकाल, साउदी अरबके लेल नेपाली राजदूत डा महेन्द्र सिंह, साउदी अरब के जेद्धाके लेल नेपाली कार्यवाहक महावाणिज्यदूत रेवती पौडेल, कतारके लेल नेपाली राजदूत रमेश कोइराला, इजरायलके लेल नेपाली राजदूत निरन्जन थापा, दक्षिण अफ्रिकाके लेल नेपाली राजदूत अमृतबहादुर राई, कुवेतके लेल नेपाली राजदूत यज्ञबहादुर हमाल, बहराईनके लेल नेपाली राजदूत पदम सुन्दास, ईजिप्टके लेल नेपाली राजदूत झबिन्द्रप्रसाद अर्याल, दुबईके लेल नेपाली कार्यवाहक राजदूत नेत्रबहादुर टण्डन सहित भिअाइपिलाेग के सहभागीता रहल रहे । साथे अाेमान मे क्रियाशिल विभिन्न संघ संस्था के प्रतिनिधि लाेग के उपस्थिति रहल रहे । सभि राजदूतलाेग अपन अपन देश के अवस्था अा चुनौती के बारेमे प्रधानमन्त्री देउवा के जानकारी करएले रहलन । एहि बिच अाेमान नेपाली एकता समाज प्रधानमन्त्री देउवा समक्ष ८ बुँदे ज्ञापनपत्र बुझएले हए । ज्ञापनपत्रमे घरेलु महिला कामदार लाेग के राेकलगेल श्रम स्वीकृति फेर से चालू करेके , महिला कामदार सब के सरकारके मातहतमे हि विदेश भेजेके लेल व्यवस्था करेके ,प्रवास मे रहल नेपाली सब नेपाल मे हाेएबाला हर किसिम के चुनाव मे समबन्धित देश से हि मताधिकार अा प्रतिनिधित्व के सुनिश्चितता करेला ,फ्रि भिसा अा फ्रि टिकट के नीति के अभिलम्ब कार्यान्वयन करेला ,नेपाल अाेमान सरकार बिच श्रम समझाैंता करे के चर्चा हाेरहल समय मे कमदार सब के निर्धारण कएल जाएबाला तलब अा मूल्य वृद्धि संघे तलब के वृद्धि के भि धयान देबे के सहित ८ बुदेँ ज्ञापनपत्र बुझावइत ध्यानाकर्षण करावल गेल नेपाली एकता समाज अाेमान के अध्यक्ष छबिलाला बस्नेतले जानकारी करएले छत । स्मरणीय हए कि भ्रमण टाेलिमे प्रधानमन्त्री शेर बहादुर देउबा के साथ परराष्ट्र मन्त्री कृष्णबहादुर महरा, श्रम अा रोजगार मन्त्री फरमुल्लाह मन्सुर, महिला बालबालिका अा सामाज कल्याणमन्त्री आशा कोइराला, प्रधानमन्त्रीके परराष्ट्र मामिला सल्लाहकार डा. दिनेश भट्टराई, परराष्ट्र सचिव शंकरदास वैरागी सहित विशिष्ट लाेग चार दिवसिय अाैपचारिक भ्रमण के लेल अभि अाेमान मे रहल हए ।

हाम्राे यूटुव टीभी हेर्नकाे लागि यहाँ किलिक गराै ।।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here